dahej mukt mithila

(एकमात्र संकल्‍प ध्‍यान मे-मिथिला राज्‍य हो संविधान मे) अप्पन गाम घरक ढंग ,अप्पन रहन - सहन के संग,अप्पन गाम-अप्पन बात में अपनेक सब के स्वागत अछि!अपन गाम -अपन घरअप्पन ज्ञान आ अप्पन संस्कारक सँग किछु कहबाक एकटा छोटछिन प्रयास अछि! हरेक मिथिला वाशी ईहा कहैत अछि... छी मैथिल मिथिला करे शंतान, जत्य रही ओ छी मिथिले धाम, याद रखु बस अप्पन गाम - अप्पन बात ,अप्पन मान " जय मैथिल जय मिथिला धाम" "स्वर्ग सं सुन्दर अपन गाम" E-mail: apangaamghar@gmail.com,madankumarthakur@gmail.com mo-9312460150

सोमवार, 6 मार्च 2017

एक कॉल पिया के नाम - जौ फगुआ में नञि आयब तउ -


एकटा  बात  कहै  छी  प्रियतम 
देबैटा      कने     ध्यान      यौ  । 
जौ   फगुआ  में नञि आयब तउ 
हम    कहब     बैमान     यौ  ।।  
                   जौ  फगुआ  में ---- 
ओहि  दिन अहाँक  बाट  हम ताकब 
रंगक   बाटी   घोरि  कय  राखब  । 
अबितहि    लाल   अबीरक    हाथे  
अहाँक    करब    सम्मान   यो   ॥ 
                   जौ  फगुआ  में ----
भंग    तरंग     में   होरी     गायब 
रास - रंग    हुड़दंग    मचायब  । 
हे         प्रानेश्वर     प्राण       नाथ 
अछि   अते  हमर   अरमान  यौ  ॥ 
                   जौ  फगुआ  में ----
अकर   बाद    की   लीखू  स्वामी 
अहाँ    त   छी   खुद   अंतर्यामी । 
"रमण "   करू   राधा  पथ  हेरथि 
कुंज    भवन   में   श्याम   यौ  ॥ 
              जौ  फगुआ   में ----
   रचना कार - 
रेवती रमण झा " रमण "
ग्राम - पोस्ट - जोगियारा पतोर
आनन्दपुर , दरभंगा  ,मिथिला
मो 09997313751

कोई टिप्पणी नहीं: