dahej mukt mithila

(एकमात्र संकल्‍प ध्‍यान मे-मिथिला राज्‍य हो संविधान मे) अप्पन गाम घरक ढंग ,अप्पन रहन - सहन के संग,अप्पन गाम-अप्पन बात में अपनेक सब के स्वागत अछि!अपन गाम -अपन घरअप्पन ज्ञान आ अप्पन संस्कारक सँग किछु कहबाक एकटा छोटछिन प्रयास अछि! हरेक मिथिला वाशी ईहा कहैत अछि... छी मैथिल मिथिला करे शंतान, जत्य रही ओ छी मिथिले धाम, याद रखु बस अप्पन गाम - अप्पन बात ,अप्पन मान " जय मैथिल जय मिथिला धाम" "स्वर्ग सं सुन्दर अपन गाम" E-mail: apangaamghar@gmail.com,madankumarthakur@gmail.com mo-9312460150

शुक्रवार, 16 दिसंबर 2016

अनुचित केहन करै छी यौ


 ( भास - नचारी  )
अनुचित  केहन  करै  छी  यौ    ।
सोन सनक बेटा  जनमा  कउ
मूल्य   धरै   छी   यौ ----
अनुचित केहन -- सोन सनक - मूल्य ---

रावण एक  कनोलक  सीता
तकर दण्ड  वो  पौलक  ।
तिलक - वाण सँ  लाखो  बेटीक
प्राण    हरै    छी    यौ  ----
अनुचित केहन -- सोन सनक - मूल्य ---

लाख करोड़  टाका  गनबौलहुँ
जेवर   लेलौं     धराय   ।
मोटर साइकिल  चरपहिया लय  -
नित   झगड़ै    छी   यौ-----
अनुचित केहन -- सोन सनक - मूल्य ---

बेटीक  जन्म  हमर  मिथिला  में
भेल   अछि   अभिशाप  ।
निर्धन कन्यागत  केर जीवन -
ज्योति   हरै   छी   यौ  ॥
अनुचित केहन -- सोन सनक - मूल्य ---

"रमण"  सब सँ  हाथ  जोरि कय
कहलक    आई    पुकारि
अप्पन माहुर अपनहि खा कय
सब   मरै   छी   यौ ----
अनुचित केहन -- सोन सनक - मूल्य ---

रचैता -
 रेवती रमण झा " रमण" 
 मो -9997313751 

    समस्त पाठक गन सन  आग्रह  एक बेर ई विडियो लिंक जरूर देखि  ----
जय मैथिल - जय ----

कोई टिप्पणी नहीं: