dahej mukt mithila

(एकमात्र संकल्‍प ध्‍यान मे-मिथिला राज्‍य हो संविधान मे) अप्पन गाम घरक ढंग ,अप्पन रहन - सहन के संग,अप्पन गाम-अप्पन बात में अपनेक सब के स्वागत अछि!अपन गाम -अपन घरअप्पन ज्ञान आ अप्पन संस्कारक सँग किछु कहबाक एकटा छोटछिन प्रयास अछि! हरेक मिथिला वाशी ईहा कहैत अछि... छी मैथिल मिथिला करे शंतान, जत्य रही ओ छी मिथिले धाम, याद रखु बस अप्पन गाम - अप्पन बात ,अप्पन मान " जय मैथिल जय मिथिला धाम" "स्वर्ग सं सुन्दर अपन गाम" E-mail: apangaamghar@gmail.com,madankumarthakur@gmail.com mo-9312460150

AAP SABHI DESH WASHIYO KO SWATANTRAT DIWAS KI HARDIK SHUBH KAMNAE

बुधवार, 26 जून 2013

सञ्चार यात्रा नेपाल


राष्ट्रके सबसँ पुरान नगरपालिकाके रुपमे रहल राजविराज नगरपालिका विकास निर्माण लगायत सब पक्षमे पछाडी परैत जाऽरहल कहैत नगरबासीद्वारा चिन्ता व्यक्त केलक अछि । सञ्चार यात्रा नेपालद्वारा मंगलदिन राजविराजमे आयोजित सार्वजनिक सुनुवाई कार्यक्रममे बोलैत नगरबासीसभ ऐहेन चिन्ता व्यक्त केलक अछि ।
नगरपालिका सभाहलमे आयोजित कएल गेल सुनुवाई कार्यक्रममे बोलैबाला अधिकांश वक्तासभ २०१६ सालमे नगरपालिका घोष्णा भेल राजविराज नगरपालिका विकासके गतिमे पाछा परल कारण उल्टा गतिमे चलिरहल आरोप समेत लगौलक । “और नगरपालिका स्तर बृद्धि करैत अगाडी जाईके क्रममे अछि” सञ्चारकर्मी हेम शंकर सिंह कहलैन “मुदा राजविराज नगरपालिका गाविस उन्मुख भऽरहल अछि ।”
राष्ट्रके सबसँ पुरान मध्येके एक आ भारतके प्रशिद्ध शहर जयपुरके नक्सामे आधारित नगरपालिका सरसफाईके क्षेत्रमे समेत सुधार होएल नहि सकलक सिंहके आरोप अछि । हरेक बर्ष किछ न किछ कार्यक्रमके आयोजना करि नगरके विकासमे सक्रिय रहैके प्रतिबद्धता करैबाला मुदा कार्यान्वयन नहि करब प्रक्रियासँ राजविराज नगरपालिका पाछा परैत आविरहल वक्तासभ बतौलक । नगरपालिका पाता परैमे कर्मचारी मात्रके दोस नहि भऽ समग्र नगरबासीके समेत कमजोरी रहल कहैत कार्यालयके काममे नगरबासीद्वारा समेत सहयोग कर परलमे ओसभ जोड देनेछल । नगरपालिकाके स्विपर ७ बजे फोहर संकलनके लेल आबैत अछि, मुदा ९ बजे नगरके सडकमे फोहर फेकैत अछि” स्थानीय शुभचन्द्र झा कहलैन –“अहिमे कर्मचारीमे मात्र दोस दऽ के होएत ?”
कार्यक्रमके अतिथी तथा मैथिल महासंघके अध्यक्ष विष्णु मण्डल कहलैन कर्मचारीसभके रकम प्रतिके आशक्तिके कारण विकास निर्माण प्रक्रिया पाछा परल आरोप लगौलक । “ढल निकासमे भ्रष्टाचार केलक हमर संग प्रमाण अछि ? मण्डल दाबी करैत कहलेन –“अहिमे सुधार नहि आएला धरि नगरके विकास केनाके सम्भव होएत ?” कार्यालय अपनासँ नहि होएबाला काम नगरबासीके सहयोग माग करपरल मण्डल बतौलक ।
कार्यक्रमके अन्तमे बोलैत प्रमुख अतिथी तथा कार्यकारी अधिकृत देवराज चौलागा कहलैन १६ सालसँ जम्मा भेल समस्या एके बेर समाधान करैल असम्भव भेलो पर हम योजना बनाके प्रयास रत रहल बतौलक । कार्यालय भतर आ कार्यालय बाहार भी काममे विभिन्न व्यवधान रहल स्वीकारैत ओ  ओहि कारण मुलुकके ५८ टा नगरपालिका मध्ये राजविराज नगरपालिका सबसँ पाछा परल दावी समेत केलक अछि । और नगरपालिकामे कार्यकारी प्रमुख बनि जाईके लेल सोर्स लगाबैत अछि, राजविराज नगरपालिकामे सुधारके काम करैके बातावरण नहि बनल प्रति संकेत करैत चौलागाइ कहलैन “मुदा अत नहि आबैके लेल सोर्स फोर्स लगाबैत अछि । त केनाके होएत विकास ? हुनकर प्रश्न छल ।
सञ्चार यात्रा नेपालके अध्यक्ष करुणा झाके अध्यक्षतामे आयोजित सार्वजनिक सुनुवाईमे विष्णु मण्डल, पत्रकारसभ ब्यासशंकर उपाध्याय, अम्बिका दाहाल, विनयलाल कर्ण, श्रवण देव, शुभचन्द्र झा, सुधा देव, गैसस महासंघके अध्यक्ष श्यामकान्त चौधरी, पार्थो सरकार, साधना झा, नागरिक समाजके थानसिंह भन्साली, पार्वती राउत लगायतके व्यक्ति समेत बोल्ने छल ।

करुणा झा
राजविराज (नेपाल)

कोई टिप्पणी नहीं: