dahej mukt mithila

(एकमात्र संकल्‍प ध्‍यान मे-मिथिला राज्‍य हो संविधान मे) अप्पन गाम घरक ढंग ,अप्पन रहन - सहन के संग,अप्पन गाम-अप्पन बात में अपनेक सब के स्वागत अछि!अपन गाम -अपन घरअप्पन ज्ञान आ अप्पन संस्कारक सँग किछु कहबाक एकटा छोटछिन प्रयास अछि! हरेक मिथिला वाशी ईहा कहैत अछि... छी मैथिल मिथिला करे शंतान, जत्य रही ओ छी मिथिले धाम, याद रखु बस अप्पन गाम - अप्पन बात ,अप्पन मान " जय मैथिल जय मिथिला धाम" "स्वर्ग सं सुन्दर अपन गाम" E-mail: apangaamghar@gmail.com,madankumarthakur@gmail.com mo-9312460150

बुधवार, 27 जुलाई 2011

फेसबुकिया चौक

बनि रहल छै मिथिलाक विकासक प्रोजेक्ट

जुरि रहल छै गाम-शहर आ देश विदेश

फेसबुकिया चौक पर भय रहल सब तय

बुझियौ मिथिला विकसित भय गेल्।



फेसबुकिया चौक पार हमहू रही गेल,

गप्पी महन्थ सब स भेंट भेल,

कतेको आचार्य, कतेको प्राचार्य,

कतेको शंकराचार्य स परिचय भेल

गौरब संग चित्त प्रफुल्लित भेल्,

बुझियौ मिथिला विकसित भय गेल्।



फेसबुकिया चौक पर, किछु कर्ता,

बहुते वक्ता आ अनेको उचित वक्ता,

किछु अघोरी कहैथि, मानू, नहि त थुकी देब,

किछु के बीच राँरी-बेटखौकी,

किछु के बीच हथा-पही, सिना-जोरी,

एहि चौक पर कतेको खो्चाहल बाँस गारि देल,

बुझियौ मिथिला विकसित भय गेल्।

बुझियौ मिथिला विकसित भय गेल्।----2




कृपानन्द झा, सर

कोई टिप्पणी नहीं: